दलान    मचान

প্রো-মৈথিল্স

" मिथिलाक गप्प मैथिली मे "

My pic

प्रो- मैथिल्स : मिथिलाक गप्प मैथिली मे


प्रो मैथिल एकटा विचारधारा छै जे मिथिला केर संस्कृति आ भाषा केर संरक्षण करबाक लेल प्रयासरत छै। प्रो मैथिल मैथिली केर सब रुप केँ संपूर्णता मे मैथिली मानय छै आ मैथिली भाषी सब जिलाक लोकक बीच मे मैथिली भाषा केँ जोरय लेल काज कए रहल छै। प्रो मैथिल मे शिवहर सीतामढ़ी सँ कटिहार आ गोड्डा एवं भागलपुर केर युवा सब संग आबि अपन मातृभाषा लेल काज करय छै। प्रो मैथिल केर मानब छै जे मिथिला आ मैथिली केर कोनो गप्प मैथिली मे होइ। मैथिली भाषा स्कुल मे नइँ रहबाक कारणेँ नव पीढ़ी अपन भाषा सँ कटि गेल छै आ बच्चा सभक लर्निंग आउटकम बहुत निम्न स्तर केर छै। मातृभाषा मैथिली शिक्षा मे रहलाह सँ मिथिला केर बच्चा सभक लर्निंग आउटकम नीक हेतै आ एहि क्षेत्र मे शिक्षा केर स्तर सुधरतै। मातृभाषा मात्र एकटा भाषा नइँ ओकर पाछू एकटा संस्कृति होइ छै जकर आर्थिक मॉडल सँ कोनो समाज केर बिकास होइ छै।

প্রো-মৈথিল্স
" मिथिलाक गप्प मैथिली मे "
70+
सदस्य
16+
जिला पहुँच
3+
राज्य पहुँच

काज सब

  • 2021 म'
  • #MaithiliInPrimary
  • IVRInMaithili
  • जानकी महोत्सव (वैशाली)
  • दीना भदरी प्रो-मैथिलि सम्मान २०२२ - जीतेन्द्र जोशीला(खगरिया)
  • #मिथिला_राज्य

    running

चित्र


चित्र.1 - मैथिलि पुनर्जागरण प्रकाशन (अख़बार)
चित्र.2 - मैथिल फैशन मॉडल (प्रो-मैथिलस)
चित्र.3 - मैथिलि पुनर्जागरण प्रकाशन (अख़बार) (#MaithiliInPrimary)
चित्र.4 - ग्रियर्सन साहब कs लिंगविस्टिक सर्वे ऑफ़ इंडिया मैथिलीभाषी क्षेत्र कs डाटा.
चित्र.5 - १० माई २०२२ कs आयोगित जानकी नवमी महोत्सव कs हकार पत्रा.
चित्र.6 - १० माई २०२२ कs आयोगित जानकी नवमी महोत्सव मs माँ जानकी क' कलाकृति.
चित्र.7 - ०१ ०९ २०२१ कs दैनिक भास्कर अखबार मs छपल प्रो-मैथिलस कs न्यूज़.
चित्र.8 - मधुर मैथिली (मैथिलि सिनेमा क अगुआएल सदस्य) द्वारा बनायल जा रहल नून रोटी मैथिलि वेबसेरिएस मs प्रो-मैथिलस कs सदस्य मणि कोशिक कs डेब्यू.
चित्र.9 - प्रो-मैथिल केर अररिया जिला प्रभारी "अखिलेश" जी तिरंगा लेने #MithilaRajya आंदोलन मे प्रो-मैथिल परिवार दिस सँ रिप्रेजेंट केलथि जंतर मंतर पर आंदोलन मे।
चित्र.10 - १० माई २०२२ कs आयोगित जानकी नवमी महोत्सव मs माँ जानकी क' कलाकृति कs पूजा करैत लोक.
चित्र.11 - १० माई २०२२ कs आयोगित जानकी नवमी महोत्सव मs माँ जानकी क' कलाकृति कs श्रृंगार करैत माँ बहिन.
चित्र.12 - १० माई २०२२ कs आयोगित जानकी नवमी महोत्सव मs माँ जानकी क' कलाकृति संगे उत्साहित प्रो-मैथिल कs सदस्यगण.

चलचित्र